Friday, 2 August 2013

स्थिति नियंत्रण में अछि


मात्र दस मिनट के लेल बिजली कटी गेल
ककरो जेब कटी गेल, त ककरो दुकान लुटी गेल
ककरो कियो चाकू मारिदेलक
ककरो पर स कार गुजरी गेल
एकटा महिला चिल्लेलथि - हमर दू टा जवान बेटी छल, एकटा केमहर गेल ?
पति डटलथी- चुपू ! जेमहर जाय के छल तेमहर गेल
आब जे चिल्लायब त भ जायेत पिटाई
काश ! दस मिनट बिजली और नै अबैत
जहिना एकटा गेल दोसरो चली जाइत
दहेज़ के चिंता ख़तम भ जाइत
माँ के ममता सन्न अछि
बाप प्रसन्न अछि
स्थिति नियंत्रण में अछि

हाय रे दहेज़प्रथा








No comments:

Post a Comment