Saturday, 20 July 2013

सौराठ सभा निवासी सँ अपील:

ब्राम्हण समाज आ दहेज़ विरोधी संस्थाक संगे आरो -आरो गामक लोक 

अपन -अपन गुट बना क सौराठ सभा के पुनः जगेबाक लेल पहुंचल 

छलाह, परन्तु सौराठक निवासी अपना घर स सभा गाछी तक बहु संख्या 

में नहीं पहुँचलाह, कि सभा मिथिला में रहनिहार समाज के मात्र दायित्व 

छनि आ सौराठक निवासी के नहि. हम आग्रह करैत पूर्ण सौराठ निवासी 

स जे अपने सब सभा के समय निश्चित रूप स सभा गाछी में समय दी 

आ सर्व प्रथम गामक धरोहर के वचवि. ई धरोहर सम्पूर्ण मिथिला वासी 

के धरोहर अछि एकरा संयोगी जाँ समुचित बुझना जाय अन्यथा कोन 

प्रयोजन?

कियो अन्यथा नहि लेब,ई ध्रुव सत्य जे सौराठ वासिक उपस्थितिक 

सहयोग पूर्ण नहि.


हमर करबद्ध आग्रह जे पुर्वजक अरजल ख्याति के बचावक प्रयास करै 


जाई जाऊ. धन्यबाद !!!